काव्य

काव्य, कविता या पद्य (अङ्ग्रेजी: Poetry)[१][२][३] साहित्यक ओ विधा छी जाहिमे कोनो कथा या मनोभावक कलात्मक रूपसँ कोनो भाषाद्वारा अभिव्यक्त कएल जाइत अछि । भारतमे कविताक इतिहास आ कविताक दर्शन बहुत पुरान अछि । कविताक शाब्दिक अर्थ अछि काव्यात्मक रचना या कविद्वारा कएल गेल कृति, जे छन्दसभक शृङ्खलासभमे विधिवत बानहल जाइत अछि ।

काव्य ओ वाक्य रचना छी जकर चित्त कोनो रस या मनोवेगसँ पूर्ण होए । अर्थात ओ कला जाहिमे चुनल गेल शब्दसभद्वारा कल्पना आ मनोवेगसभक प्रभाव राखल जाइत अछि । रसगङ्गाधरमे 'रमणीय' अर्थक प्रतिपादक शब्दकें 'काव्य' कहल गेल अछि ।

काव्यप्रकाशमे काव्य तीन प्रकारक कहल गेल अछि, ध्वनि, गुणीभूत व्यङ्ग्य आ चित्र । ध्वनि ओ छी जहिमे शब्दसभसँ निकलल अर्थ (वाच्य) क अपेक्षा नुकाएल होए आ अभिप्राय (व्यङ्ग्य) प्रधान होए । गुणीभूत व्यङ्ग्य ओ छी जहिमे गौण होए । चित्र या अलङ्कार ओ छी जाहिमे बिना व्यङ्ग्यकें चमत्कार होए । ई तीनू प्रकार क्रमशः उत्तम, मध्यम आ अधम सेहो कहलावैत अछि । काव्यप्रकाशकार क जोर नुकाएल भाव पर अधिक जानि पड़ैत अछि, रसक उद्रेक पर नै । काव्यकें दुई आओरो भेद कएल गेल अछि, महाकाव्य आ खण्ड काव्य । महाकाव्य सर्गबद्ध आ ओकर नायक कियो देवता, राजा या धीरोदात्त गुण सम्पन्न क्षत्रिय होवाक चाही । ओहिमे शृङ्गार, वीर या शान्त रससभमे सँ कोनो रस प्रधान होनाए चाही । बीच बीचमे करुणा, हास्य इत्यादि आ रस तथा अन्य लोकसभक प्रसङ्ग सेहो आना चाही । कम सँ कम आठ सर्ग होवाक चाही । महाकाव्यमे सन्ध्या, सूर्य, चन्द्र, रात्रि, प्रभात, मृगया, पर्वत, वन, ऋतु, सागर, संयोग, विप्रलम्भ, मुनि, पुर, यज्ञ, रणप्रयाण, विवाह आदिक यथास्थान सन्निवेश होनए चाही ।

Other Languages
Afrikaans: Poësie
Alemannisch: Poesie
አማርኛ: ቅኔ
aragonés: Poesía
العربية: شعر (أدب)
অসমীয়া: কবিতা
asturianu: Poesía
Aymar aru: Jarawi
azərbaycanca: Poeziya
تۆرکجه: شعر
башҡортса: Шиғриәт
žemaitėška: Puoezėjė
Bikol Central: Rawitdawit
беларуская: Паэзія
беларуская (тарашкевіца)‎: Паэзія
български: Поезия
भोजपुरी: कबिता
বাংলা: কবিতা
བོད་ཡིག: སྙན་ངག
বিষ্ণুপ্রিয়া মণিপুরী: কবিতা
brezhoneg: Barzhoniezh
bosanski: Poezija
буряад: Уран шүлэг
Mìng-dĕ̤ng-ngṳ̄:
нохчийн: Поэзи
Cebuano: Balak
کوردی: شیعر
corsu: Puesia
čeština: Poezie
Cymraeg: Barddoniaeth
dansk: Digt
Deutsch: Poesie
Ελληνικά: Ποίηση
English: Poetry
Esperanto: Poezio
español: Poesía
eesti: Luule
euskara: Olerkigintza
estremeñu: Poesia
فارسی: شعر
suomi: Runous
français: Poésie
Frysk: Poëzy
Gaeilge: Filíocht
贛語:
Gàidhlig: Bàrdachd
galego: Poesía
Avañe'ẽ: Ñe'ẽpapa
Gaelg: Feeleeaght
עברית: שירה
हिन्दी: काव्य
Fiji Hindi: Poetry
hrvatski: Poezija
Kreyòl ayisyen: Pwezi
magyar: Költészet
հայերեն: Պոեզիա
interlingua: Poesia
Bahasa Indonesia: Puisi
Interlingue: Poesie
Igbo: Ábu
Ilokano: Dandaniw
Ido: Poezio
íslenska: Ljóðlist
italiano: Poesia
日本語:
Patois: Puoychri
la .lojban.: pemci
Basa Jawa: Geguritan
ქართული: პოეზია
Qaraqalpaqsha: Poeziya
қазақша: Поэзия
ಕನ್ನಡ: ಕವನ
한국어: 시 (문학)
къарачай-малкъар: Поэзия
kurdî: Helbest
Кыргызча: Поэзия
Latina: Poësis
Ladino: Poeziya
Lingua Franca Nova: Poesia
Limburgs: Poëzie
lumbaart: Puesia
lietuvių: Poezija
latviešu: Dzeja
олык марий: Мурпаша
македонски: Поезија
മലയാളം: കവിത
монгол: Шүлэг
मराठी: कविता
Bahasa Melayu: Puisi
Malti: Poeżija
Nāhuatl: Xochicuicatl
नेपाली: कविता
नेपाल भाषा: चिनाखँ
Nederlands: Poëzie
norsk nynorsk: Dikt
norsk: Poesi
Nouormand: Pouésie
occitan: Poesia
Livvinkarjala: Runohus
Ирон: Поэзи
ਪੰਜਾਬੀ: ਕਵਿਤਾ
Papiamentu: Poesia
Picard: Poésie
polski: Poezja
Piemontèis: Poesìa
پنجابی: شاعری
Ποντιακά: Ποιητικήν
پښتو: شعر
português: Poesia
Runa Simi: Harawi
română: Poezie
русский: Поэзия
русиньскый: Поезія
संस्कृतम्: काव्यम्
Scots: Poetry
سنڌي: نظم
srpskohrvatski / српскохрватски: Poezija
සිංහල: කාව්‍යය
Simple English: Poetry
slovenčina: Poézia
slovenščina: Pesništvo
Soomaaliga: Gabay
shqip: Poezia
српски / srpski: Поезија
SiSwati: Bunkondlo
Seeltersk: Dichtenge
svenska: Poesi
Kiswahili: Ushairi
தமிழ்: கவிதை
తెలుగు: కవి
тоҷикӣ: Назм
Tagalog: Panulaan
Setswana: Poko
Türkçe: Şiir
татарча/tatarça: Шигърият
ئۇيغۇرچە / Uyghurche: شېئىر
українська: Поезія
اردو: شاعری
oʻzbekcha/ўзбекча: Sheʼriyat
vepsän kel’: Runoišt
Tiếng Việt: Thơ
West-Vlams: Dichtkunste
Volapük: Poedav
walon: Powezeye
Winaray: Siday
吴语:
მარგალური: პოეტი
ייִדיש: דיכטונג
Yorùbá: Ewì
Vahcuengh: Sei
中文: 诗歌
Bân-lâm-gú: Koa-si
粵語: